गामक यात्रा ❤️


अपि स्वर्णमयी लकां न मे लक्ष्मण रोचते ।

जननी जन्मभूमिश्च स्वर्गादपि गरीयसी॥

अपन‌ जन्मभूमि केहन होईत छैक तकर उपसंहार संस्कृतक श्लोक मे समाहित अछि। राम, लक्ष्मण से कहि रहल छथिन “ लक्ष्मण लंका सोन के बनल अछि तैयो ई हमरा नहि नीक लागल, हमर ई अनुभव अछि जे माए आओर मातृभूमि स्वर्ग सं सेहो श्रेयस्कर अछि।” 

यदि मिथिलांचलक विषय मे वार्तालाप कएल जाए त याज्ञवल्क्य कहने छथिन :- 

“जे मिथिला के व्यवहार,परंपरा, संस्कृति एवं परिपाटी अनुपम अछि, तहन किएक न अपन जन्मभूमि मिथिला जाऊं।”

प्रायः छ बरख भ गेल छल गाम गेला। आधुनिक समयक लेल स्वाभाविक छैक ताहि व्यवस्तता क रहितहुॅं गाम जाएक अतीव इच्छा छल। अंततः अपन वाहन सं गाम गेलहुॅं। यात्रा रोमांचक रहल। 16-17 घंटा के अंतराल मे सम्पूर्ण प्रकृति के निहारैत (सिंहावलोकन) करैत गाम पहुंचलहुॅं। धिया-पुताक समय के स्मरण भ गेल। ओहिना सम्पूर्ण परिवार तथा अपन समांग , वैह मिथिलाक भोजन-भात। पंद्रह दिन ओतए रहलहुॅं। एहि क्रम मे मातृक मे सेहो रहलहुॅं। पीसी सब ओतए गेलहुॅं। संजोग ऐहन छल जे ई छठि के उपलक्ष्य छलैक। माॅं पष्ठि देवी कऽ दर्शन करैत, सांझ आ भोर दुनू समय घाट पर छलहुॅं। बहुत नीक लागल जकर शब्द मे वर्णन नहि छैक। 

अपन लोक-वेद सऽ मिलैत- जुलैत मोन प्रमुदित भऽ गेल। वास्तव मे मिथिला ज्ञान के उदभवक भूमि अछि। जतए जीवन के सहज शिष्टाचार स्वतः जाएत छैक। 

खेत- पथार दिस सेहो घुमऽ - टहलऽ गेलहुॅं। गामक- पोखरि , झाॅंखेर सेहो देखलहुॅं।  जंगल-झाड़ ओतए उन्मुक्त पशु- पक्षी सऽ सेहो साक्षात्कार भेल। अपन अरिजन- परिजन सऽ गप्प-शप्प करबाक मे एकटा अलग प्रकार के अनुभूति होयत छैक। परिवार मे नेनाभुटका सभ सऽ सेहो बातचीत भेल जकर नैसर्गिक आनंद हम कहि नहि सकैत छी। दालान पर कतैक फकरा सुनलहुॅं जाहि सऽ हर्ष के अनुभूति भेल। अहि क्रम मे दड़िभंगा के एकटा प्रसिद्ध मंदिर माॅं श्यामा मंदिर मे अपन कुलदेवी माॅं कालिका के दर्शन प्राप्त भेल। माॅं सऽ प्रार्थना केलहुॅं जे मिथिला एवं मैथिली सदैव अक्षुण्ण रहए। 

निश्चित रूप सऽ अपन जन्मभूमि कऽ दर्शन आवश्यक अछि। अपन भाषा मैथिली कऽ आगाॅं मे कोनो भाषा के महत्व नहि छैक,ऐतेक समृद्ध ,प्रांजल एवं मधुर। निस्संदेह अपन मातृभूमि व्यक्ति के अस्तित्व कऽ विशिष्ट उपकरण प्रदान करैत छैक। 

धन्य मिथिला धन्य एहि भूमि के निवासी ‌।

Comments

Popular posts from this blog

An Unspoken Narrative 💟

The Unsaid Adieu! 💟

It's meant for the best!